18.10.10

पांच लाख बौआक दाम

नहीं कमाईत छथि फूटल कौड़ी
नहीं रोजगारक कोनो ठेकान
दस बरख से धएने छथि दिल्ली
टाका आबे छिन अखनो गाम
बाबू सूद-दरसुद जोरी के
लगबैत छथिं बौआक दाम
पांच लाख बौआक दाम |

कहैत छथि एमबीए केने छी
नहीं चाही सरकारी नोकरी, नाम
एमएनसी. में नोकरी करैत छी
राखैत अछि कंपनी सबटा ध्यान
प्रवंधन के कोनो गप्प करू ते
मुंह बेता जेना परम अकान
पांच लाख बौआक दाम |

घटक देखी के बाप बजैत छथि
बडका हाकिम हमर सन्तान
गाडी-बंगला नोकर-चाकर
सब चीजक ओतय ओरीयान
ऑफिस में बडका-बडका हाकिम
करैत रहैत छैक बौआके सलाम
पांच लाख बौआक दाम |

अबिते लगन घटकक आसमे
मखमल जाजीम सोभय मचान
सिल्क कुर्ता संग परमसुख धोती
सजी-धजी बैसथि बाप दलान
जखन देखु भरल रहैत छैन
चाहक संग खिलबट्टी में पान
पांच लाख बौआक दाम |

अहि लगन में लुल्हा लंगडा
नहि बांचल कियो बहिर अकान
पैंतीस बीतल चढ़ी गेल छत्तीस
नहि सुनैत अछि कियो कान
हमर सपुतक शुभ लगन में
सब अप्पन बनी गेल अछि आन
पांच लाख बौआक दाम |

0 टिप्पणियाँ:

एक टिप्पणी भेजें

सदस्यता लें टिप्पणियाँ भेजें [Atom]

इस संदेश के लिए लिंक:

एक लिंक बनाएँ

<< मुखपृष्ठ