Pravasi Mithila

26.10.24

ओल्ड मॉडल

.... भौजी गोर लगे छी l

.... आनंद रहू l
.... आई भैया के नहि देखैत छियैन कतs गेलैथ
.... बैसु न अबिते हेता तरकारी लेल गेल छैथ l
ओतबे मे भैयाक अवाज आयल के छी लाल हम ते निचा मे हवाई चप्पल देखिते चिन्ह जायत छियैक l
.... अहाँ मार्केट जायत छी ते घरक रास्ते बिसैर जायत छियै घंटा भरि भs गेल, दुध अनलियैक की नहि हमर माथ चाहक लेल दर्द सं फाटल जायत अछि, कनि जल्दी करू हमरो लेल अपनों दुनु भाई लेल सेहो चाह बना लिया l
.... हम अखन पायरो नहि धोलहु कनि बाथ रूम जायब तकर बादे किछु होयत कहैत धरफरायल पैखाना मे खुसी गेला l
.... अहाँ के जखन कोनो काज कहब ते कोनो न कोनो बहाना भेट जायत अछि, अहि द्वारे अहाँ के कोनो काज नहि कहैत छी अहाँ के बुझल नहि अछि जे हम भोरो से करवा चौथ के ब्रत केने छी l
.... भौजी वट सावित्री ब्रत दिन अहाँ ते कहने रहि हमरा बुते ब्रत नहि कायल होयत अछि तखन कोना ब्रत केलहुँ l
.... अहुँ गौआरी के गौआरीये रहि गेलहुँ वट सावित्री ओल्ड मॉडल के ब्रत छियैक आब के करैत छैक आब लोक करवा चौथ करैत छैक l

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें