पंचायतक चुनाव ख़तम - झगरा-झंझट शुरू
सब गाम में पंचायतक चुनाव ख़तम भ s गेल कियो मुखिया ते कियो सरपंच कियो वार्ड मेम्बर ते कियो जिला परिषद् नियुक्त भेलाह | जिनकर जेहेन सेटिंग आओर जेहेन खर्च छल ओही हिसाब से जीतलाह | व्यक्तिक पहचान ते लगभग ख़तम भय गेल जे ककरा भोट देवाक चाही वा ककरा नहि, जाती बाद टोलबाद दियादवाद हावी रहल पूरा पंचायतक चुनाव में, कियो अहि लेल बहुत खुश अछि जे आब अप्पन टोलक मुखिया बनल आब अप्पन टोलक तकदीर बदलत बहुत दिन से ओ टोलबैया शाशन केलक हमरा टोल में कोनो काज नहि भेल अहि बेर अप्पन टोलक मुखुया भेल सबटा काज हेवाक चाही | ई ते आबय वाला काल्हि कहत जे कोन काज होयत वा कि नहि | मुदा गामे गाम एकटा समीकरण जरुर बनय लागल जे ओ हमरा भोट नहि देलक ओकरा से अहि बेर बदला लेबैक बड़ पैघ नेता बनय चलल छल आब पता चलतैक आ देखैत छियैक जे पुरना मुखिया कहिया धरि मदद करतैक | हर एक दोसर एकेटा बात करताह, हमहू गाम गेल छलहु कुनू टोल खुमब मुश्किल भय गेल जाही दलान पर जाऊ एकेटा बात लोग के अप्पन काज से कम सरोकार आ मुखिया इलेक्शन से बेसी |

0 टिप्पणियाँ:
एक टिप्पणी भेजें
सदस्यता लें टिप्पणियाँ भेजें [Atom]
इस संदेश के लिए लिंक:
एक लिंक बनाएँ
<< मुखपृष्ठ