लोक सेवा आयोग में मैथिलीक शानदार उपलब्धि
आशीष झा
नई दिल्ली । लोकसेवा आयोग क परीक्षाक परिणाम बुधदिन सामने आयल। मैथिलीक नजरि स परिणाम एक मायने मे एतिहासिक कहल जा सकैत अछि। एहि बेर करीब एक दर्जन एहन छात्र परीक्षा पास केलथि अछि जिनकर विषय मैथिली छल। परीक्षा मे सफल छात्र चंदन क अनुसार कुल 46 गोट छात्र मेंन्स परीक्षा मे एहि विषय कए ल कए बैसल छलाह, जाहि मे स कुल 24 गोटे कए साक्षात्कार लेल बजाउल गेल छल। साक्षात्कार बाद करीब एक दर्जन छात्र कए परीक्षा मे सफलता भेट गेल अछि। अपन चारिम आ आखिरी प्रयास मे कामयाब भेल अनुप तीन बेर इतिहासक संग राजनीति शास्त्र विषय लेने छलाह आ कामयाबी हुनका लग नहि आबि सकल। अपन आखरि प्रयास मे ओ राजनीति शास्त्र क स्थान पर मैथिलीक चयन केलथि आ ओ सफल रहलाह। मधुबनी जिलाक घोघडिहा क रहनिहार अनुप अपन स्कूली शिक्षा भोला हाइ स्कूल, बिरौल स केलथि आ स्नातक ललितनारायण मिथिला यूनिवर्सिटी से केलाक बाद दिल्ली आबि गेलाह। अनुप क कहब अछि जे सफलता लेल लक्ष्य जरूरी अछि आ हुनकर लक्ष्य समाज लेल किछु करबा प्रयास अछि।
लोकसेवा आयोग मे मैथिलीक प्रवेशक बाद इ सबस पैघ सफलताक आंकडा अछि। एहि आंकडा मे खास गप इ अछि जे मेंस मे बैसनिहार करीब 20 टा छात्र बिहार स बाहर क छलाह, जाहि मे उत्तर प्रदेश स तरूण गुप्ता आ हरियाणा स आदित्य क नाम सामने आबि रहल अछि। आदित्य पहिल गैर बिहारी छथि जे मैथिली विषय स इ परीक्षा पास केलथि अछि। मूल रूप स हरियाणाक रहनिहार आदित्य सेहो पहिल बेर मैथिली कए अपन विषय मे शामिल केने छलाह। ओतहि मूल रूप स सीवान क रहनिहार ए पांडेय क पुत्र अभिशेष आनंद अपन दोसर प्रयास मे 320 म स्थान प्राप्त केलथि अछि। आइआइटी स पढल आनंदक कहब अछि जे हुनकर एहि सफलता मे मैथिलीक बड पैघ योगदान अछि। आनंद क अलावा सेहो करीब छह गोटे बिहार क भोजपुर आ चंपारण स एहि परीक्षा मे सफलता पौलथि अछि, मुदा एखन धरि हुनका स संपर्क नहि भ सकल अछि।
source:esamad

0 टिप्पणियाँ:
एक टिप्पणी भेजें
सदस्यता लें टिप्पणियाँ भेजें [Atom]
इस संदेश के लिए लिंक:
एक लिंक बनाएँ
<< मुखपृष्ठ